Nirvik Khabar

संविधानअनुसारक अधिकार प्रदेशकेँ भेटबाक चाही : नेता निधि

Advertisements
Single Page Long - 2

धनुषा, २० कातिक 

नेपाली कांग्रेसक पूर्वउपसभापति विमलेन्द्र निधि सातो प्रदेश सरकारकेँ सम्पन्न बनेबाक लेल संविधानअनुसार प्रदेशकेँ अधिकार भेटबाक चाही बताैलैन । महोतरीक कांग्रेसक चर्चित नेता सहिद स्व शिवचन्द्र मिश्रक ८१ म् जन्मयन्तीक अवसरमे महोतरीक लोहरपट्टीमे काइल आयोजित समारोहकेँ सम्बोधन करैत नेता निधी कांग्रेसक नेतृत्वमे बनल संविधान आ तइ भितरके उल्लेखित उपलब्धिसभकेँ बचेबाक लेल कांग्रेसके नेतृत्व आवश्यक अइछ कहलैन। “मधेश सरकार कमजोर भेल कहब गलत छी, कमजोर नियोजित रूपमे बनाएल जा रहल छै, तहिबिरूद्ध आन्दोलन कर पड़त ।”

कांग्रेसक नेतृत्वमे सङ्घीय गणतन्त्रात्मक प्रणालीसहितक संविधान देशके भेटल कहैत ओ स्व शिवचन्द्र मिश्र आ सहिद दुर्गानन्द झासहितक नेता आ योद्धासभक प्रेरणासँ मधेसमे कांग्रेस विरासत बनाैने बात कहलैन ।

गणतन्त्रवादी नेता दुर्गानन्द झाक सहयात्री शिवचन्द्र मिश्र रहल कहैत ओ जेलनेल भोगल बातके स्मरण कराैलैन। निधि स्व मिश्र लोहरपट्टी मात्र नै देशेके सपुत रहल बताैलैन । कांग्रेस महोतरीक सभापति नागेश्वर यादव नेता निधि भौतिक पूर्वाधारमन्त्री भेल समयमे महोतरीमे भेल सडक विकास विस्तारप्रति धन्यवाद व्यक्त केलैन।

लोहरपट्टी नगरपालिकाका मेयर शैलेन्द्र यादव तथा कांग्रेसक अग्रज नेता महेन्द्र मिश्र लोहरपट्टीसहितक क्षेत्रमे आँइखक बेमार बढ़ैत गेलासँ इलाजक लेल एकटा अस्पताल आवश्यक भेल कहैत पहलकदमीक लेल नेता निधीकेँ आग्रह केलैथ

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
Array

Discussion about this post

सम्बन्धित समाचार

Related Posts

ताजा समाचार
यो पनि हेर्नुहोस